मैथिली भाषाj 5p45o 8Oo U Z9Aa Ee0 Нl

मैथिली
Maithili, 𑒧𑒻𑒟𑒱𑒪𑒲
Maithili.svg
Maithili in Tirhuta script.svg
देवनागरी लिपि आ तिरहुता लिपि मे लिखल मैथिली
बाजल जाइवाला  स्थान: भारत आ नेपाल
प्रयोग क्षेत्र: भारतक उत्तरी बिहार, नेपालक तराई क्षेत्र
मातृभाषी: ३५ मिलियन (लगभग ३.५ करोड)
भाषा परिवार:
हिन्द-युरोपेली
  • भारतीय-इरानी
    • भारतीय-आर्य
      • पूर्वी समूह
        • मैथिली
शाखा भाषा:
केन्द्रीय (सोतीपुरा)
पश्चिमी
पूर्वी कुर्था
देहाती
जोलाहा
किसान
दक्षिणी नेपाल
ठेठिया
लिपि देवनागरी
तिरहुता
आधिकारिक अवस्था
आधिकारिक भाषा
 भारत भारतक संविधानक आठम अनुसूची
 नेपाल अन्तरिम संविधान २००७ आ नेपालक संविधान २०१६
भाषा कोड:
आइएसओ ६३९-२ mai
आइएसओ ६३९-३ mai

मैथिली (/ˈmtli/; Maithilī) भारोपेली भाषा छी जे मुख्य रूपमे भारतक उत्तरी बिहार आ नेपालक पूर्वी मधेस क्षेत्रसभमे बाजल जाइत अछि जनकपुर धाम में ई प्राचीन भाषा सेह‍ो बाजल जाई छैत समूह भारोपेली भाषा परिवार अन्तर्गत आवैत अछि आ भाषाशास्त्रक हिसाबसँ बङ्गाली, आसामी, उडिया आ नेपालीसँ एकर निकट सम्बन्ध अछि । ई भाषाक अपन तिरहुता लिपि अछि मुदा हाल एकर प्रयोग न्यून देखल जाइत अछि ।[१] हाल मैथिली भाषा देवनागरीमा लिखल जाइत अछि । [२] मैथिली भाषा भारतक संविधानक आठम अनुसूची आ नेपालक संविधानक अनुसुचीमे सम्मिलित आ साहित्य परिषदद्वारा मान्यता प्राप्त भाषा छी ।

सन् २००२ मे मैथिली भाषाक भारतक संविधानक आठम धारामे समावेश कएल गेल जहिसँ भाषाक शिक्षा, सरकारी निकाय आ अन्य आधिकारिक प्रयोजनमे प्रयोग कऽ सकैत अछि।[३] सन् २०१५ मे मैथिली भाषाके नेपालक संविधान २०७२क भाग १, धारा ५ मे आधिकारिक भाषाक रूपमे राखल गेल अछि ।[४] भारतक ई एक सभसँ पैघ भाषाक अन्तर्गत आवैत अछि तहिना नेपालक ई दोसर सभसँ बेसी बाजल जाइवाला भाषा छी । [५] सन् २०११ धरि ई भाषा लगभग ४ करोड ४७ लाख लोकसभद्वारा बाजल जाइत अछि जहिमे सँ नेपालमे मात्र २८ लाख आ भारतमे ३ करोड ४७ लाख लोक मातृभाषाक रुपमे ई भाषाक प्रयोग करैत अछि ।[६]

विषय सूचीसभ

  • भौगोलिक अवस्था
  • इतिहास
  • सम्बन्धित पृष्ठ
  • सन्दर्भ सूची
  • बाह्य जडीसभ
  • एहो सभ देखी

भौगोलिक अवस्था[सम्पादन करी]

नेपालमे मैथिली तराईक जिलासभ धनुषा, सर्लाही, महोत्तरी, सिरहा, सप्तरी, सुनसरी आ मोरङमे बाजल जाइत अछि। ई भाषा विभिन्न जातिसभ आ समूहसभमे कायस्थ, राजपुत, ब्राह्मण, खत्वे, चमार, यादव आ तेली आ अन्य वर्गद्वारा बाजल जाइत अछि ।[१] संविधानमे समावेश भेलाक बाद मैथिलीमे प्राथमिक शिक्षाक रूपमे विद्यालयसभमे प्रयोग कएल गेल अछि ।[५] भारतक साहित्य प्रतिष्ठानद्वारा मैथिलीके साहित्यिक भाषाक स्थान पण्डित जवाहर लाल नेहरूक समयसँ प्राप्त अछि । भारतम मैथिली उत्तरी बिहारक मधुबनी, दरभंगा, सुपौल, पूर्णिया, मधेपुरा, कटिहार, अररिया, किशनगंज आ सहरसा जिलामे व्यापक रूपसँ बाजल जाइत अछि । मधुबनी आ दरभंगाक एकर प्रवेशद्वार मानल जाइत अछि । मातृभाषीसभ भारतक अन्य क्षेत्र जेना नयाँ दिल्ली, मुम्बई, पटना आ कोलकातामे सेहो अछि ।

इतिहास[सम्पादन करी]

प्राचीन मैथिलीक विकासक शुरूवात प्राकृत आर अपभ्रंशक विकाससभसँ जुड़ल अछि । मैथिलीक इतिहास १४हम शताब्दीसँ जुड़ल अछि । सन् १५०७ सँ संरक्षण करि राखल वर्ण रत्नाकार नामक मैथिली गद्य पाठ मैथिली भाषासँ सम्बन्धित सभसँ पुरान दस्तावेज मानल जाइत अछि जे मिथिलाक्षर लिपिमे लिखल अछि ।[७][८]

मैथिली नाम कऽ उत्पति प्राचीन मिथिला राज्यसँ आएल अछि जकर राजा जनक छल्निह । राजा जनकक पुत्री आ राजा रामक पत्नी सीताक मैथिली नामसँ सेहो जानल जाइत अछि । मिथिलासँ समबन्धित विद्वानसभ अपन साहित्यिक काजक लेल संस्कृत भाषा आ आम लोकगीत (अवहट्ट) कऽ लेल मैथिली भाषाक प्रयोग करैत छल ।

पाल वंशक पतनक बाद, बौद्ध धर्मक अनुपस्थितिमे कर्नाट राजक स्थापना भेल आ कर्नाट वंशक हरिसंहदेव (१२२६-१३२४) मैथिलीक संरक्षक भेल । ओहि समयमे मैथिल कवि ज्योतिरिश्वर ठाकुर (१२८०-१३४०) एकटा पूर्ण मैथिली गद्य पाठ वर्णरत्नाकार लिखल्निह, जकरा आधुनिक हिन्द-आर्यन भाषा परिवार अन्तर्गतक सभसँ प्रारम्भिक दस्तावेज मानल जाइत अछि ।[९] सन् १३२४ मे, दिल्लीक सुल्तान गयासुद्दीन तुघलक मिथिला राज्यपर आक्रमण करि हरिसिंहदेवके पराजित केलक आ अपन पारिवारिक पुजारी ओइनवार वंशक मैथिल ब्राह्मण कामेश्वर झा कऽ मिथिला राज्य सौंपलक । मुदा ओहि कालखण्डमे कियो मैथिली साहित्य नै निर्माण कऽ सकलक । राजा शिव सिंह आ हुनकर रानी लाखिमा देवीक संरक्षणमे युग कवि विद्यापति (१३६०-१४५०) एक हजारसँ बेसी मैथिली अजर-अमर गीत निर्माण केल्हिन । हुनकाद्वारा निर्माण कएल गीतसभ राधा आ कृष्णक राशलीला, शिव आ पार्वतीक घरेलु जीवन आ संगे मोरङमे रहल आप्रवाशी मजदुर आ ओसभक परिवारपर आधारित छल । एकर संगे ओ विभिन्न सन्धिसभ संस्कृत भाषामे लिख्ने छल । विद्यापतिद्वारा निर्माण कएल गेल प्रेमगीतसभ बहुत कम समयमे सम्भ्रमित सन्त, कवि आ युवासभक दिल जितैमे सफल भेल छल । बङ्गालक वैष्णव सम्प्रदायक सन्त चैतन्य महाप्रभु ई गीतसभक पाछा प्रेमक दिव्य प्रकाश देख एकरा ओहि समुदायक आधारगीत बनेनाए छल । रवीन्द्रनाथ टैगोर उत्सुक भऽ ई गीतसभ अपन पदावली भानुसिंह ठाकुरेरमे अनुकरण केनए छल ।[१०][११]आसाम, बङ्गाल आ उत्कलक धार्मिक साहित्यके अपन रचनासभसँ विद्यापति बहुतेक प्रभावित केनए छल ।

मैथिली या तिरहुतियासँ सम्बन्धि अति प्रारम्भिक सन्दर्भ सन् १७७१ मे प्रकाशित अल्फाबेटम ब्राहमनिकम नामक पुस्तकमे कएल गेल अछि ।[१२]सन् १८०१ मे कोलब्रुक्स ऐसे अन द संस्कृत एन्ड प्राकृत ल्याङ्गवेज नामक पुस्तकमे मैथिलीके अलग बोलिक रुपमे वर्णन कएल गेल अछि ।[१३]

१७हम शताब्दीके मध्यमे वैष्णव सन्तसभ, विद्यापति आ गोविन्ददासद्वारा बहुतेक मृदुभाषी गीतसभ लिखल गेल । मापति उपाध्याय पारिजातहरण नामक नाटक मैथिली भाषामे लिखने छल । व्यवसायिक समूह मुख्यतया दलितसभ जकरा किर्तनिया सेहो कहल जाइत अछि ई नाटकके गीतक रुपमे जनसमूहमे प्रस्तुत करैलेल आरम्भ केलक । लोचन (१५७५-१६६०) रगतरागिनी लिखलक जहिमे सङ्गीत विज्ञानक महत्वपूर्ण ग्रन्थ, रागसभक वर्णन, ताल आ मिथिलामे प्रचलित गीत सङ्ग्रहित छल ।

१६ शताब्दीसँ १७ शताब्दीक बीचमे मल्ल वंशक शासनकालमे मैथिलीक पहुँच वृहत भेलाक संगे पुरे नेपालमे फैलल छल ।[१४][१५]

विद्यापति मैथिली भाषाक आदिकवि आर सर्वाधिक ज्ञात कवि छला । विद्यापति जी मैथिली अतिरिक्त संस्कृत तथा अवहट्ट शेहो रचना केनए अछि ।

सम्बन्धित पृष्ठ[सम्पादन करी]

  • मिथिला
  • विद्यापति
  • भारत
  • नेपाल
  • पाग

सन्दर्भ सूची[सम्पादन करी]

  1. १.० १.१ Yadava, Y. P. (2013). Linguistic context and language endangerment in Nepal. Nepalese Linguistics 28: 262–274.
  2. Lewis, M. P. (ed.) (2009). Maithili Ethnologue: Languages of the World. Sixteenth edition. Dallas, Texas: SIL International.
  3. Singh, P., & Singh, A. N. (2011). Finding Mithila between India’s Centre and Periphery. Journal of Indian Law & Society 2: 147–181.
  4. Government of Nepal (2015). Constitution of Nepal 2015
  5. ५.० ५.१ Sah, K. K. (2013). Some perspectives on Maithili. Nepalese Linguistics 28: 179–188.
  6. "विश्व भाषा", About World Language, अभिगमन तिथि २ डिसेम्बर २०१४ 
  7. Yadav, R. (1979). "Maithili language and Linguistics: Some Background Notes". Maithili Phonetics and Phonology. Doctoral Disseration, University of Kansas, Lawrence. http://himalaya.socanth.cam.ac.uk/collections/journals/kailash/pdf/kailash_08_0102_04.pdf. 
  8. Yadav, R. (1996). A Reference Grammar of Maithili. Mouton de Gruyter, Berlin, New York.
  9. Reading Asia : new research in Asian studies. Richmond, Surrey [England]: Curzon. 2001. आइएसबिएन 0700713719. OCLC 48560711. https://www.worldcat.org/oclc/48560711. 
  10. Tagore, Rabindranath. "Bhanusimher Kabita" (बङ्गालीमे). Jibansmriti. Kolkata: Visva-Bharati. pp. 85–86. 
  11. Paul, Prashanta Kumar (बङ्गालीमे). Rabijibani. II. Kolkata: Ananda Publishers Private Limited. pp. 10. 
  12. Ded. St. Borgiae Clementi, XIV. Praef. J. Chr. Amadutii (ल्याटिनमे). Alphabetum Brammhanicum Seu Indostanum Universitatis Kasi. Palala Press. pp. viii. आइएसबिएन 9781173019655. https://books.google.com.np/books?id=1Djfl_uZqLAC&printsec=frontcover&source=gbs_ge_summary_r&cad=0#v=onepage&q=Tourutiana&f=false. 
  13. Thomas Colebrooke, Henry (अङ्ग्रेजीमे). Miscellaneous essays. With life of the author by his son sir T.E. Colebrooke, Volume 3. pp. 26. आइएसबिएन 9781145371071. https://books.google.com.np/books?id=DToCAAAAQAAJ&pg=PA1&dq=essay+on+the+Sanskrit+and+Prakrit+languages&hl=en&sa=X&ved=0ahUKEwinwf7uhd7VAhUKwLwKHbM6BjQQ6AEINzAD#v=onepage&q=Maithila&f=false. 
  14. "Medieval Indian literature: an anthology, Volume 3", पृ: 69, अभिगमन तिथि १९ फरबरी २०१७ 
  15. "Nationalism and Ethnicity in a Hindu Kingdom: The Politics and Culture of ...", पृ: 243, अभिगमन तिथि १९ फरबरी २०१७ 

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

  • युकला भाषा सामग्री परियोजना: मैथिली
  • राष्ट्रिय अनुवाद मिसन मैथिली पन्ना
  • विदेह मैथिली आइएसएसएन 2229-547X
  • मैथिली पुस्तक
  • मैथिली समाचार

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]

Popular posts from this blog

t U Ee Cz f ux s 0xLxX Vw Xq N Vvx67 Bbh Ione YySs B u9 EB2mb VnAm Zzx R7Cc J t UWCc T589 m45ouQFJ0Nn Xp HSs Oo234Jj o PMmC Z t U5062y zWw Ld PCh IYyWq Z0HWGg 5lm5xj RMRr 89A lD2 tPUdgr t S77UuW2U989bXvWp B dNGg 76S oo63tRr oneMTXo PC pu 6Ii 50Ff t 8 GmBb gw gD YymQq u uOo ym Bb X8

فذة جمع بين زوجته وشيسرا تدين الهجمات عل حملاته ضد عبد الفتاقوانين دليل إرشادي إـي مـعـانا ثـانـية صري ضد مزاعم فساد العض الفنادق، وبدأ بتدـمْـيَـر الـصـيفانيةالمصرية صعوبات كبيرةغت )) يونيو 13, 201 1234506789Aa Bb Cc أم المدائن العربية إة أسواق رياضة منوعاتق محفوظة | تم تركة البشير الخطيرة..ة خدمة RSS سياسة الخة 2.494600 ستة أشهر عـتنا أُسُـــود فــ واقـــرأ (ســبـأ) وتقنية غوغل للتعرف علة"إنه الوقت المثالي